Baba baidyanath hum aail chi bhikariya
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना
अइलों बड़ बड़ आस लगायल होहियो हमरा पर सहायएक बेरी फेरी दियौ गरीब पर नजरिया, अहाँ के दुअरिआ ना। १।
हम बाघम्बर झारी ओछायब डोरी डमरू के सरियाएब
कखनो झारी बुहराब बसहा के डगरिया, अहाँ के दुअरिया ना। २।
कार्तिक गणपति गोद खेलायब कोरा कान्हा पे चढ़ायब
गौरा-पारबती से करबेन अरजिया, अहाँ के दुअरिया ना। ३।
हम गंगाजल भरी भरी लायब, बाबा बैजू के चढ़ायब
बेलपत चन्दन चढ़ायब फूल केसरिया, अहाँ के दुअरिया ना।४।
कतेक अधम के अहाँ तारलों, कतेक पतित के उबारलों
बाबा एक बेर फेरी दियौ हमरो पर नजरिया, अहाँ के दुअरिया ना।५।
काशीनाथ नचारी गवैया माता पारवती के सुनवइया,
बाबा एक बेर फेरी दियौ हमरो पर नजरिया, अहाँ के दुअरिया ना।६।
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना

टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें